शिव महिमा Shiv Mahima
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)
शिव नाम सँ सुंदर, नै नाम दोसर छै -2
ओम नमः शिवाय जपियौ-ओम नमः शिवाय जपियौ
दुनियाँ बस झोंझर छै
शिव नाम सँ सुंदर, नै नाम दोसर छै -2
'वरदान सभके भेंटल ,जे आबि गेल शरणमे
विष पिय' पड़लैन चाहे, नुकेए परेन जंगलमे -2
शिव आदि अनादि अनंत, त्रिभुवन स्वामी छथि
कालोके महाकाल, प्रभु औढरदानी छथि
मंगलक जे एक रत्ति ओकरा भेंटल दोबर छै .....-२
ओम नमः शिवाय जपियौ-ओम नमः शिवाय जपियौ
दुनियाँ बस झोंझर छै
शिव नाम सँ सुंदर, नै नाम दोसर छै -2
'रघुवर सेहो जपैत छैथ, यैह नाम पावन शिवकेँ
रटै छथि महादेब, हट्ठोघड़ी सियावरकेँ -२
सुंदर अछि दून्नु नाम ,जपु सभ खूब मनसँ
राजीव कहै निकसब ,अहाँ जिनगीके उलझनसँ
शिव शंकर दानी लग, सभ एक बरोबर छै ...-२
ओम नमः शिवाय जपु-ओम नमः शिवाय जपु
दुनियाँ बस झोंझर छै
शिव नाम सँ सुंदर, नै नाम दोसर छै -2
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)