मधुर मुरली बजैया के Madhur Murali Bhaiya Ke
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)
करु सुमिरन सजल मन सॅ, मधुर मुरली बजैया के
करु वंदन मगन मन सॅ, गोकुल नंदन कन्हैया के
हरे कृष्णा हरे कृष्णा, कृष्णा कृष्णा हरे हरे
हरे रामा हरे रामा, रामा रामा हरे हरे
करु हरी नाम के कीर्तन, भगाबु, दुःख बलैया के
करु वंदन मगन मन सॅ, गोकुल नंदन कन्हैया के
महिमा हुनकर छेन बड़ भारी
हितकारी ओ, छैथ सुखकारी
यशोदा नंदन, कंस निकंदन
बनवारी ओ मुरली धारी
एक बेर हुनकर, ध्यान त करियौ
कहियौ दुःख संकट सभ हरियौ...
कहाबे भक्त वत्सल ओ, लगाबे पार नैया के
करु वंदन मगन मन सॅ, गोकुल नंदन कन्हैया के
बास अहाँ के, राधा मन में
भक्तक तन में, वृंदावन में
हे गिरधर हे, नटवर नागर
बास करु ने, हमरो मन में
हमरो दिस एक, बेर कनी ताकू
हे प्रभु पग हम,रो घर राखु
दियऽ दर्शन हे प्रभु हमरो, छी मारल हम समैया के
'करु वंदन मगन मन सॅ, गोकुल नंदन कन्हैया के-2
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)