भोलेनाथ सुनु Bholenath Sunu
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)
हे नाथ हमर भोलेनाथ सुनु,इ अनाथ केँ कियै बौओने छी।
आब राखि लिय सँगे ओहिना ;जेना नंदी सँग बेसौने छी ॥
हे नाथ हमर भोलेनाथ सुनु, इ अनाथ केँ कियै बौओने छी ॥
जे टहल टिकोरा हैत करबै ;अपने सँ आनि हम भाँग पीसबै।
नन्दी भृंगी जेना सँग नाचे;ओहिना बेताले हम नचबै।।
माया मे ओझरा क' बैजू ; कियै नचनी नाच नचौने छी ।
आब राखि लिय सँगे ओहिना ;जेना नंदी सँग बेसौने छी ॥
सुनु जग केर संचालनकर्ता ;हे दुःखहर्ता जग सुखकर्ता ।
हम रहब ओगरने आठु पहर ;कने ध्यान दियौ कर्ताधर्ता ॥
अहीँ आदि मध्य आ अंत जखन ;फेर ऐना कियै बिसरौने छी ।
आब राखि लिय सँगे ओहिना ;जेना नंदी सँग बेसौने छी ॥
हे यौ काल हरु शिव कष्ट हरु;दुःख बाधा विपदा नष्ट करु।
हे कृपानिधि कैलाशपति;कंटक संकट सभ अंत करु।
"माही" "राजीव" केर साँस मे शिव ;फेर हमरा कियै कनौने छी ।
आब राखि लिय सँगे ओहिना ;जेना नंदी सँग बेसौने छी ॥
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)