#bhajan सुनूं ई उचित नै जननी || Sunu E Uchit Nai Janani || Rajeev Ranjan #song || Maithili #devigeet
Bhakti Devotional

#bhajan सुनूं ई उचित नै जननी || Sunu E Uchit Nai Janani || Rajeev Ranjan #song || Maithili #devigeet

Rajeev Ranjan Music
#bhajan सुनूं ई उचित नै जननी || Sunu E Uchit Nai Janani || Rajeev Ranjan #song || Maithili #devigeet by Rajeev Ranjan Music
Listen Song

सुनु ई उचित नै जननी Sunu E Uchit Nai Janani
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)

भेल कोन अपराध हे मैया.. ;
हमरा बिसरलौँ ... सुनु ई उचित नै जननी ।
भेल कोन अपराध हे मैया.. ;
हमरा बिसरलौँ ... सुनु ई उचित नै जननी ।
तोड़लौँ कियै बाँधल नेहक तार ..
सुनु ई उचित नै जननी ॥
तोड़लौँ कियै बाँधल नेहक तार ..
सुनु ई उचित नै जननी ॥
तोड़लौँ कियै बाँधल नेहक तार ..
सुनु ई उचित नै जननी ॥

अतबै माँगै छी माँ भिक्षा ;
लिय जुनि अतेक परीक्षा ।
सहबै कोना.. दुःख भारी ;
अम्बे खोलु सुखक पिटारी।
बँधलौँ बोझ कियै दुःखक कपार..;
सुनु ई उचित नै जननी ॥
बँधलौँ बोझ कियै दुःखक कपार..;
सुनु ई उचित नै जननी ॥
तोड़लौँ कियै बाँधल नेहक तार ..
सुनु ई उचित नै जननी ॥

क्षेमियौ सब भूल "अतुल"क ;
गाँथि चढ़वत माला अड़हूलक।
हरियौ दुःख संकट हरिणी ;
कर जोड़ि कही जगजननी ॥
"राजीव" आँखि कियै .. नोर टघार .. ;
सुनु ई उचित नै जननी ॥
"माही" आँखि कियै .. नोर टघार .. ;
सुनु ई उचित नै जननी ॥
तोड़लौँ कियै बाँधल नेहक तार ..
सुनु ई उचित नै जननी ॥

Singer Rajeev Ranjan (9304163740)

Back to All Lyrics