Mon Bekal Bhel Aab Maa
'मोन बेकल भेल आब माँ, कोना हम कहबौ-2
'तोरा बिन जिनगी अन्हार गे,क'ह कोना रहबौ।।-२
'मोन बेकल भेल आब माँ, कोना हम कहबौ..-2
' दिन ओझरेलै.., केऽ सोझरेतै ।
हमर व्यथा आब .; केऽ पतियेतै॥×२
' दु:ख केऽ टूटल पहाड़ गे . .; क'ह कोना सहबौ।।-२
' मोन बेकल भेल आब माँ, कोना हम कहबौ..-3
कोन गलती पर, माय तूँ रूसलेँ।
दशा हमर देखि, घुरियो ने पूछलेँ।।×२
कनिते रहि गेलौँ ठाड़ गे,कह कोना जीयबौ ।।-२
मोन बेकल भेल आब माँ, कोना हम कहबौ..॥
तीन भुवन केँ..; माय कहाबेँ।
"राजीव" केँ दिन... किए ने घुराबैँ।।×२
"माही" भेलो लाचार गे, मोन कोना परबौ।।-२
मोन बेकल भेल आब माँ, कोना हम कहबौ..॥
Singer Rajeev Ranjan ( 9304163740 )