#lovesong लव यू यै मिथिलानी | Love You Yai Mithilani | Rajeev Ranjan Maithili Song | मैथिली लोकगीत
Maithili Folk Love Song

#lovesong लव यू यै मिथिलानी | Love You Yai Mithilani | Rajeev Ranjan Maithili Song | मैथिली लोकगीत

Rajeev Ranjan Music
#lovesong लव यू यै मिथिलानी | Love You Yai Mithilani | Rajeev Ranjan Maithili Song | मैथिली लोकगीत by Rajeev Ranjan Music
Listen Song

Love You Yaii Mithlaani लव यू.. यै मिथिलानी

Singer Rajeev Ranjan (9304163740)

कत्ते सुन्नर अहाँ, लगै छी सजनी ..
कत्ते सुन्नर अहाँ, लगै छी सजनी..;
मोन करै घुरितै रही ।
मीठगर..कोयली सनक',लगैया बोली;
मीठगर..कोयली सनक',लगैया बोली..
मोन करै सुनितै रही ॥
दिल धड़का कऽ..किमहर चललौँ..;
सुनु हमर.. यै रानी ।
दिल धड़का कऽ..किमहर चललौँ..;
सुनु हमर.. यै रानी ।
जीवन भरि.. अहीँ केँ कहबै... ;
लव यू.. यै मिथिलानी॥
कत्ते सुन्नर अहाँ, लगै छी सजनी..;
मोन करै घुरितै रही ।
मीठगर..कोयली सनक', लगैया बोली;
मोन करै सुनितै रही ॥

 

जेना लगैऽ.. हमरे लेल..ऐलौँ हैँ.. धरती पर ।
मरै छी हम..अहाँ केँ यै..लँहगा कुरती पर ॥
जेना लगैऽ.. हमरे लेल..ऐलौँ हैँ .. धरती पर ।
मरै छी हम..अहाँ केँ यै.. लँहगा कुरती पर ॥
मटकि-मटकि..जेना चली.. दिल ओहिना धड़कै।
देखु ने .. हाल हमर .. मोन कत्तै तड़पै ॥
जहिना राधा ..ऽ ..ऽ लेल कृष्णा ;
तड़पी हमहु ... सेहो ओहिना...
मोनक' प्यास... मिटेबै कहिया ..;
यै दिल केँ महारानी ।
मोनक' प्यास... मिटेबै कहिया..
यै दिल केँ महारानी ।
जीवन भरि अहीँ केँ कहबै ;
लव यू.. यै मिथिलानी॥
कत्ते सुन्नर अहाँ, लगै छी सजनी..;
मोन करै घुरितै रही ।
मीठगर..कोयली सनक', लगैया बोली;
मोन करै सुनितै रही ॥

 

निखरै छी..अहाँ जेना..खिलल फूल गुलाब।
कहु कोना...यै सजनी...सब्र ने होइयै आब॥
निखरै छी..अहाँ जेना..खिलल फूल गुलाब।
कहु कोना..यै सजनी...सब्र ने होइयै आब॥
हुरपरी सन..लगी अहाँ...दोसर ने कोनो जोड़ ।
प्रीत बढ़ा सँग... नैन मिला कऽ..बाँधि लेने छी डोर॥
देखी अहाँ केँ.. सँगे अपना ...;
सच्चे छै कि ... कहु सपना...
"माही" सँग मे लिखब अहाँ की.. ?
अप्पन प्रेम कहानी ।
"राजीव" सँग मे लिखब अहाँ की.. ?
अप्पन प्रेम कहानी ।
एक बेर नै.. सौ बेर कहब हम..
लव यू.. यै मिथिलानी॥
कत्ते सुन्नर अहाँ, लगै छी सजनी..;
मोन करै घुरितै रही ।
मीठगर..कोयली सनक',लगैया बोली;
मोन करै सुनितै रही ॥

Singer Rajeev Ranjan (9304163740)

Back to All Lyrics