Hamar Vetha Maa
हमर व्यथा मां, तुंहिं नै सुनबै, के दोसर बरदेतै गे..
'हे जगजननी , तोहर दया बिनु -2
भाग कोना सोझरेतै गे............
हे जगजननी ,तोहर दया बिनु,भाग कोना सोझरेतै गे
1.
तेहेन करम ,लिखने छैं तुं मैय्या,हम मेटब नै मेटैतै गे
'हाथ जोड़ि हम, करियौ निहोरा -2
ई जिनगी जहर ने घोटेंतै गे...........
हे जगजननी ,तोहर दया बिनु,भाग कोना सोझरेतै गे
2.
तोरा सन मां दानी के दोसर, बिन मंगने सब देतै गे..
'जग बरिया सं भरल छै मैय्या -2
निब्बल जानि डेरेतै गेल........
हे जगजननी ,तोहर दया बिनु,भाग कोना सोझरेतै गे
3.
राजीव गति मां तुंहि जनैछैं,दिन कहिया घुरि एतै गे..
निरसल जग सं अंशक आखर -2
कहिया भाव पुरेतै गे........
हे जगजननी ,तोहर दया बिनु,भाग कोना सोझरेतै गे
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)