हाविडीह वाली मैय्या || Haavideeh Waali Maiyya || Rajeev Ranjan Devi Geet || Haavideeh  Bhagwatigeet
Bhakti Devotional

हाविडीह वाली मैय्या || Haavideeh Waali Maiyya || Rajeev Ranjan Devi Geet || Haavideeh Bhagwatigeet

Rajeev Ranjan Music
हाविडीह वाली मैय्या || Haavideeh Waali Maiyya || Rajeev Ranjan Devi Geet || Haavideeh Bhagwatigeet by Rajeev Ranjan Music
Listen Song

हावीडीह वाली हैहट महरानी Haavideeh Wali Maiyya 

Singer Rajeev Ranjan (9304163740)

 

चरण कमलमे शीश नमाबअ,चलु हावीडीह धाम
हैहट देवी सभ भक्तन के,पूर्ण करथि मनकाम
जगत विदित जगदंबक महिमा,पसरल चहुँदिस नाम
जनम कृतारथ होय सकल,दुःख विपदा केर निदान 


मुखड़ा ---
'हावीडीह वाली हैहट महरानी के-2
'महिमा जग ई जहान जनैय
हावीडीह वाली हैहट महरानी के-2
महिमा जग ई जहान जनैय..
'पूर करथि सभक मुख वाणी के-2
जे हिनका दुआरि अबैय....-2
    1)
'छै स्थापना के ई कथा बर पुरान
हरिदेव सिंह रहथि राजा महान-2
यश कीर्ति हुनक पसरल सभ ठाम 
पद्मावती रहनि महरानी के नाम
स्थापित कएलनि... स्थापित कएलनि मैया रानी के
से पंडित पुरान कहैय.. 
हावीडीह वाली हैहट महरानी के
'महिमा जग ई जहान जनैय...

2)
'मैये नाम सँ परल अछि गाम केर नाम
ग्राम पश्चिम भागमे हिनक स्थान-2
भक्त गण केर होए एतए भरिगर जुटान
सभ बरोबर एतए नै कोनो मान अपमान 
बँटथि पुत्र .. बँटथि पुत्र धन वंशक निशानी के
महिमा जग जहान.....
हावीडीह वाली हैहट महरानी के
'महिमा जग ई जहान जनैय...

3)
'जे शरणमे आएल भेल अर्जी मंजूर 
रोग शोक दुःख दरिद्रा हटि गेल बरी दूर-2
उजरल घर फेर सँ करथि समतूल 
वर पाबि सुखमय जिनगी बनल भरपूर
राजीव गाओल.. राजीव गाओल महिमा ,वरदानी के
नहि सूर ताल तान जनैय....
हावीडीह वाली हैहट महरानी के
'महिमा जग ई जहान जनैय...

Singer Rajeev Ranjan (9304163740)

Back to All Lyrics