कोना हम भार भेलौ बाबा | Kona Ham Bhaar Bhelu Baba | Rajeev Ranjan #shivbhajan | मैथिली शिव नचारी
Bhakti shiv bhajan

कोना हम भार भेलौ बाबा | Kona Ham Bhaar Bhelu Baba | Rajeev Ranjan #shivbhajan | मैथिली शिव नचारी

Rajeev Ranjan Music
कोना हम भार भेलौ बाबा | Kona Ham Bhaar Bhelu Baba | Rajeev Ranjan #shivbhajan | मैथिली शिव नचारी by Rajeev Ranjan Music
Listen Song

कोना हम भार भेलौँ Kona Ham Bhaar Bhelou 
Singer Rajeev Ranjan (930463740)

 

सुनलौँ जग मेँ सबके ..;
'सुनलौँ जग मेँ सबके .. अहीँ उद्धार केलौँ ।-2
फेर अहीँ कहु बाबा 
फेर अहीँ कहु बाबा कोना हम भार भेलौँ
फेर अहीँ कहु बाबा कोना हम भार भेलौँ ×२ ॥
व्यथित हृदय सँ कोना कही..दुखड़ा यौ दानी ।
दशा देखि विचार करू ,बालक जँ मानी ॥-2
एक नजैर फेरि देखु ,बस अतबा अछि अरजी ।
अछि सजल नयन तरसल , बाँकी जेहन मरजी । ।
जेना कार्तिक - गणपति केँ बाबा दुलार केलौँ ।
फेर अहीँ कहु बाबा हम कोना भार भेलौँ ×२ ॥
रंग देखि दुनियाँ केँ बाबा ..देह कँपइयै ।
झूठ मजे मेँ बाजि कऽ सब कियौ .सच्च केँ झँपइयै ॥-2
आब कोना कहु उगना, कैलाश छोड़ि आबू ।
"माही" मनोरथ केँ, आबि मिथिला पुराबु ॥
देखु ने हर-हर .., हम कोना लाचार भेलौँ ॥
फेर अहीँ कहु बाबा हम कोना भार भेलौँ ×२ ॥
सुनलौँ जग मेँ सबके ..;
सुनलौँ जग मेँ सबके .. अहीँ उद्धार केलौँ ।
फेर अहीँ कहु बाबा हम कोना भार भेलौँ !
फेर अहीँ कहु बाबा हम कोना भार भेलौँ ×२ ॥

Singer Rajeev Ranjan (930463740)

Back to All Lyrics