Beta Bekal Chho May -2 (Singer Rajeev Ranjan )
'कोना क हमरा बिसैर गेलें मैया -2
'तोरा बिना हमरा रहलो ने जाइया -2
'कोना क हमरा बिसैर गेलें मैया -2
'तोरा बिना हमरा रहलो ने जाइया -2
'हमरा की चाही मां गे, से तू जनै छै
बेर -बेर कहै छियो,किया नई सुनै छै -2
'कोना निष्ठुर भ बैसल छै गे मैया-2
'तोरा बिना हमरा रहलो ने जाइया-2
'धरती अंबर पर मैया तोरे अधिकार छौ
हमर घर देख मां गे कते अन्हार छौ-2
कहिया इजोत तू देखेमे गे मैया -2
तोरा बिना हमरा रहलो ने जाईया-2
'हम बूझि गेलियौ गे माय तोरा लय संसार छौ
खगतौ किया हमरा लय,हमर कोन काज छौ-2
तोरा छोड़ि हम कतय जेबो गे मैया -2
तोरा बिना हमरा रहलो ने जाइया-2
'सुनै छियो मैया तोहर महिमा अपार छौ
राजीव बेटा तोहर,शरण मे ठार छौ- 2
मीरा पर नजैर मां ग देबही तु कहिया -2
तोरा बिना हमरा रहलो ने जाइया-2
Singer Rajeev Ranjan (9304163740)