'मैया खोलने छी मनके केवार दुवार आहा अबियौ ने -2
'हम भोरे स जल लेने ठार दुवार अहा अबियौ ने ....
मैया खोलने छी मनके केवार दुवार आहा अबियौ ने
हम भोरे स जल लेने ठार दुवार अहा अबियौ ने
1-
' एबै जे मैया हमर मिथिला में
बाइट देबै लड्डू हम सगरो जिला में-2
आहा शरण में शिश झुकायब किर्तन कराएब टोला में
हम बनेने छी अरहुल के हार दुवार अबियौ ने -2
मैया खोलने छी मनके केवार दुवार आहा अबियौ ने
2-ललका कलर में चुनरी मंगायब
बाली आ बिंदी स तोरा सजायब
मंदिर सजाक सोझा बैसाक जननी हे नैना जुरायब
अपन बेटा क सुन पुकार दुवार आहा अबियौ ने -2
3-तु जौ नै सुनमे त केकरा सुनेबै
मैया गे बिपदा इ केकरा देखेबै
राजीव रंजन के कोरा उठाले
माए कैहके केकरा बजेबै
बेटा रेवती परल छौ लचर दुवार आहा अबियौ ने
अपन बेटा क सुन पुकार दुवार आहा अबियौ ने -2