गोरी कहबे तू चंदा उतार उताईर तोरा द देबौ
दरभंगा संगे संग बिहार जे चाही तोरा द देबौ
गोरी कहबे तू चंदा उतार उताईर तोरा द देबौ
मधुबनी संगे संग बिहार जे चाही तोरा द देबौ
ऐबे जे गोरी हमर मिथिला में ,
टुटतौ गुमान सहरसा जिला में-2
बेगूसराय के छौड़ा नै छोड़तौ कहतौ नैना मिला ले
सीतामढ़ी से ल के कटिहार गे गोरी तोरा द देबौ
गोरी कहबे तू चंदा उतार उताईर तोरा द देबौ
भागलपुरी सिल्क के लहंगा दिएयेबौ ,
मुजफ्फरपुरक लाली से ठोर सजेबौ - 2
समस्तीपुर जाक बाली आ झुमका रानी तोरा हम दिऐबौ
लेबई हीरा के हार उधार गे गोरी तोरा द देबौ
गोरी कहबे तू चंदा उतार उताईर तोरा द देबौ
आंशक गप्प सुने कनि जाना
राजीव गौतम नै सुनतौ बहाना - 2
भगत जी के मीठा पान खुएबौ द क इलायची के दाना
भाया डुमरी गे सुपौल बाजार घुमैले तोरा ल जेबौ
गोरी कहबे तू चंदा उतार उताईर तोरा द देबौ